राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) के विधायक महेश्वर यादव नीतीश सरकार के केलनि प्रसंसा

पटना। 22 सितम्बर। एक दिस आरजेडी के मुखिया लालू प्रसाद यादव सरकार आओर अप्पन विरोधी सभ पर लागातार हमलावर छथि, त' दोसर दिस हुनकर एक विधायक ऐहिक उल्टा सरकार आओर नीतीश कुमार केर प्रशंसा केलनि। लालू के ई नेता छथि गायघाट के विधायक महेश्वर यादव।

आरजेडी विधायक महेश्वर यादव प्रेस कॉन्फ्रेंस करि नीतीश कुमार द्वारा कायल जे रहल विकासक काज बाढ़ि पीड़ित सभके राहत उपलब्ध करेबा म' सरकार के तत्परता के सराहना केलनि। एहि दौरान ओ एक-एक करि सरकार द्वारा कायल गेल काजक नाम सेहो गिनौलानी। चाहे ओ गंडक नदी पर पुल बनेबाक काज हो वा बाढ़ि पीड़ित सभक बीच राहत वितरण करबाक काज। 

एहि दौरन महेश्वर यादव कहलनि कि नीक काज क' नीके कहबाक चाही। मुदा मगर, अफसोस अछि कि बिहार म' सिर्फ आरोप-प्रत्यारोप केर  राजनीति भ' रहल अछि। एहेन लोग सभके बिहारक विकास केर चिंता नहि अछि ।

नीतीश कुमार के तारीफ करैत आरजेडी विधायक कहलनि कि नीतीश कुमार अप्पन शासन काल म' साइकिल एवं पोशाक द' गरीब सभक बच्चा क' स्कूल तक पहुंचेबाक काज केलनि। पंचायत म' आरक्षण सँ ल'क' शराबबंदी तक नीतीश कुमार कैको एहेन काज केलनि, जाहिसे बिहार आन राज्य सभक अपेक्षा बेसी आगू बढ़ल अछि।

एतबे नहि, महेश्वर यादव भागलपुर म' उद्धाटन सँ पूर्व बांध टुटबाक घटना पर सेहो नीतीश सरकार केर बचाव केलनि। एहि दौरान ओ एता धरी कहलनि कि आय धरी जतेक सिंचाई मंत्री भेल छथि हुनका सभसँ नीक काज ललन सिंह क' रहल छथि।

अपने क' बता दी बिहार म' महागठबंधन टुटबाक समय सेहो महेश्वर यादव नीतीश कुमार केर तारीफ केना रहथिन। एहि बाबत ओ कहने रहथिन कि आरजेडी के कैको विधायक हुनका जोका नीतीश क' मुख्यमंत्री केर रूप म' देखा चाहैत छथि। मुदा आरजेडी म' अप्पन गप रखबाक आजादी किनको नहि अछि, एहि कारण सँ महागठबंधन टूटल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ