भारत कुनू धर्मशाला नहि, जे चाहे एहिठाम रहे लागे : केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह

पटना। 22 सितम्बर। नवरात्रि केर उपलक्ष म' पटना म' आयोजित देवी जागरण म' पहुंचल केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह बड़का बयान देलनि। रोहिंग्या मुस्लिम सभक मुद्दा पर गिरिराज सिंह कहलनि कि भारत कुनू धर्मशाला नहि अछि, जता जे चाहे आएब क' रहे लागे।

दरअसल, केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह कैल्हि गुरु दिन पटना म' एक सांस्कृतिक कार्यक्रम म' हिस्सा लेबा पहुंचल छला। जता मीडिया स' बात करैत ओ राहुल गांधी पर तंज कसैत कहलनि कि राहुल गांधी क' खुदे नहि बुझल छैन्ह ओ की बाजैत छथि। 

गिरिराज सिंह कहलनि कि कांग्रेस आओर राहुल गांधी बाहर जे'क' भारत क' बदनाम करबाक काज केना अछि। ओतहि, रोहिंग्या मुस्लिम सभक मुद्दा पर ओ कहलनि कि रोहिंग्या मुस्लिम सभ घुसपैठि छथि आओर भारत पहिने स' घुसपैठि सभसँ परेशान अछि।

गिरिराज सिंह आगा कहलनि कि नवरात्रि म' फलहार पर सवाल उठबै बला रमजान आओर इफ्तार पर किएक नहि बाजैत छथि। यदि रमजान पर इफ्तार भ' सकैत अछि तेँ सनातम धर्म म' फलहार आओर देवी जागरण किएक नहि। सनातम धर्म म' नवरात्रि केर बहुत महत्व अछि। नवरात्रि म' नारी शक्ति मां दुर्गा केर पूजा आओर जागरण होयत अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ