
पटना। 22 सितम्बर। गया के आदित्य सचदेवा हत्याकांड के दोषी आओर जेडीयू केर निलंबित एमएलसी मनोरमा देवी के बेटा रॉकी यादव क' पटना हाईकोर्ट एक मामला म' जमानत द' देलनि। पटना हवाई अड्डा पर सरकारी कामकाज म' बाधा पहुंचेबाक आओर पुलिसक संग बदसलूकी करबाक मामला म' ई जमानत देल गेल अछि। न्यायामूर्ति ए.के.त्रिवेदी के एकलपीठ रॉकी यादव केर जमानत याचिका पर सुनवाई करैत एहि मामला म' जमानत देलनि।
ई मामला 28 अक्टूबर 2016 के छल जखन रॉकी यादव सरेंडर करे जायत रहथिन। रॉकी पर आरोप छल कि ओ हवाई अड्डा पर सरकारी काज म' बाधा पहुंचेबाक कोशिश केलनि आओर ओता मौजूद पुलिसकर्मी सभक संग बदसलूकी केलनि। गौरतलब अछि कि 6 सितम्बर दिन आदित्य सचदेवा हत्याकांड म' कोर्ट रॉकी यादव समेत तीन क' उम्रकैद केर सजा सुनेना छल।
रॉकी के अलावा राजेश कुमार आओर टेनी यादव दोषी पायल गेलाक बाद सँ जेल म' बंद छथि। ई मामला पछिला बरख 7 मई क' ओवरटेकिंग ल'क' भेल विवाद म' 12वीं के छात्र आदित्य सचदेवा केर गोली मारी हत्या करबाक छल। ओहि समय सचदेवा अप्पन दोस्त सभक संग स्विफ्ट कार स' घर जायत छलाह। एहि मामला म' रॉकी के पिता बिंदी यादव आओर हुनकर बॉडीगार्ड क' सेहो गिरफ्तार कायल गेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।