पूर्व मंत्री विजय शंकर दूबे आओर डा.अशोक कुमार के अलावा विधायक अमिता भूूषण, अजित शर्मा आओर राजेश राम कैल्हि राहुल गाँधी स' भेंट करि अप्पन - अप्पन राय देलनि।
प्राप्त सूचनाक मुताबिक पार्टी के 27 विधायक म' अधिसंख्य प्रदेश म' बदलल राजनीतिक माहौल म' राजग संग रहबाक इच्छुक छथि। एहिमे कियो जदयू त' कियो भाजपा संग जाए लेल चाहैत छथि। कांग्रेस विधायक सभक टूट केर खामियाजा अगिला बरख होमै बला राज्यसभा आओर विधान परिषद चुनाव म' भुगते पैड़ सकैत अछि। फिलहाल बिहार स' राज्यसभा म' केओ सदस्य नहि अछि। राजद के सहयोग सँ राज्यसभा म' एक सीट भेट सकैत अछि। ओतहि, विधान परिषद म' सेहो एक सीट भेटबा म' कोनो दिक्कत नहि होयत।
पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष अशोक चौधरी आओर विधानमंडल दल केर नेता सदानंद सिंह आए गुरुदिन राहुल गांधी सँ भेंट करे नई दिल्ली जेबाक संकेत देना छथि। कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी स' एहि दुनू गोटा के बिहार म' पार्टी संकट केर संबंध म' बातचीत भ' चुकल अछि। विधानमंडल दल के नवा नेताक रूप म' विजय शंकर दूबे, जावेद आओर रामदेव राय केँ नामक चर्चा भ' रहल अछि। ओतहि, नवा प्रदेश अध्यक्ष केँ रूप म' अखिलेश प्रसाद सिंह, अनिल शर्मा, अमिता भूषण के नामक चर्चा अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।