जिला मुख्यालय के वार्ड नंबर 10 म' स्थित एहि राजकीय प्राथमिक विद्यालय म' मात्र दू गोट कमरा अछि। एक कमरा म' आंगनबाड़ी केर संचालन होयत अछि, जखनकि दोसर कमरा म' तीसरा सँ पांचवी कक्षा केर पढ़ाई एक संग होयत अछि। एहि फोटो सँ ई साफ अछि कि बच्चा सभके पढ़ेबाक लेल एहिठाम नहिये त' पर्याप्त बुनियादी सुविधा अछि आओर नहिये संसाधन।
इस बाबत जखन स्कूल के प्रधानाध्यापक अनिल कुमार सिन्हा सँ पुच्छल गेल त' ओ कहलनि कि स्कूल म' मात्र दू गोट कमरा अछि। एक कमरा म' आंगनबाड़ी केर संचालन होयत अछि। स्कूल के एक अंगना अछि जाहिठाम दू कक्षा लगाओल जायत अछि। एहिठाम करीब 90 बच्चा पढ़ैत अछि आओर छह शिक्षक कार्यरत छथि।
अनिल कुमार कहलनि कि ओ विभागक आला पदाधिकारी सभके कैको बेर एहि बदहाली केर सूचना देलनि मुदा विभाग द्वारा आय धरी कोनो डेग नहि उठाओल गेल। स्कूल के शिक्षिका खुशबू कुमारी कहलनि कि एहि बदहाली म' बच्चा सभके पढ़ायब हमरा सभक मजबूरी थीक। एक संग तीन कक्षा के बच्चा सभके पढ़ेबा म' हमसभ खुद परेशान भ' जायत छी।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।