मैथिली संगीत म' "बबली चौधरी" बहुत तेजी सँ अप्पन डेग बढ़ा रहल छथि
दरभंगा। 08 सितम्बर। [प्रणव चौधरी] बबली चौधरी मैथिली गायिकी केर रूप म' आब सभक दिल पर राज क' रहल छथि, बबली समय रहैत अप्पन मुकाम गायिकी केर क्षेत्र म' बना रहल छथि, ओतहि ओ मिथिलाक सेहो खूब मान - सम्मान बढ़ा रहल छथि।
बबली चौधरी मूल रूप सँ दरभंगा जिलाक राघोपुर के छथिन आओर स्वर्गीय श्री इन्द्रनारायण झा केँ बेटी छथिन। बबली चौधरी क' अप्पन माँ सँ ग़ायबाक प्रेरणा भेटलनि, बबली जखन 8 बरखक छली तखने सँ गीत संगीत म' अभिरुचि लेब शुरू क' देने छली। बबली चौधरी एखन क्लासिकल संगीत सिख रहल छथि आओर अप्पन पति विजय कुमार चौधरी केर प्रेरणा आओर प्रोत्साहन सँ प्रोतसहन सँ अप्पन मुकाम गायिकी केर क्षेत्र म' बना रहल छथि।
बबली क' विद्यापति महोत्सब रांची हरमू मैदान म' भेल कार्यक्रम म' मंच पर गएबाक पहिल मौक़ा भेटलन्हि, जाहि म' ओ मैथिली चैतावर "औंगुरी म' डसल नागिनिया हो रमा चैत शुभ दिनमा" गीत सँ सभक दिल जीत लेलिह। बबली चौधरी के पहिल एल्बम "शिव के नचारी" एहि बरख आयल अछि आओर जल्दे हुनक कैको एल्बम आबैय बला अछि। हुनकर "ऐना मुरली बजा ने कन्हैया" गीत यूट्यूब पर बहुत लोक प्रिय भेल।
बबली चौधरी लोकगायिका सारदा सिन्हा क' आओर क्लासिकल म' रंजना झा क' अप्पन अडियल मानैत छथि। आजुक समय म' बबली चौधरी केर लोकप्रियता देशक कोन- कोन म' पसैर रहल अछि, संगहि बबली चौधरी सभ लोकप्रिय गायक - गायिका केँ बिच अप्पन अलग पहचान बना रहल छथि। बबली अप्पन पति संग पटना म' रहैत छथि,हुनकर पति (CISF म' SUB INSPECTOR ) छथिन।
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।
2 टिप्पणियाँ
बहुत सुंदर ।खूब आगू बढहु ,,
जवाब देंहटाएंबहुत सुंदर बबली । खूब आगू बढहु
जवाब देंहटाएंमिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।