पटना। 25 सितम्बर। बिहार म' हर बरख आबै बला बाढ़ि केर स्थाई समाधान लेल नेपाल के प्रधानमंत्री शेर बहादुर देउबा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क' काठमांडु अएबाक निमंत्रण देलनि। नीतीश कुमार क' लिखल अप्पन पाती म' देउबा कहलनि कि बाढ़िक समस्या के स्थाई हल हमरा सभके मिलके ताके पड़त आओर ऐहिक लेल हमरा सभके तत्काल डेग उठेबाक जरुरत अछि।
देउबा अप्पन पाती म' नीतीश कुमार केर नेतृत्वक सेहो प्रसंसा केलनि। देउबा कहलनि कि नीतीश कुमार केर नेतृत्व म' बिहार तेजी सँ विकासक पथ पर आगू बढ़ी रहल अछि। देउबा पछिला माह बोधगया के अप्पन भ्रमण केर जिक्र करैत नीतीश सरकार क' बेहतर आतिथ्य लेल धन्यवाद सेहो देलनि।
गौरतलब अछि कि पछिला माह नेपाल के प्रधानमंत्री देउबा 43 सदस्यीय प्रतिनिधि दल के संग बोधगया आयल छला। देउबा कहलनि कि बोधगया म' भगवान बुद्ध के पुण्य स्थल पर पूजा करबा सँ हुनका विशिष्ट सुख भेटलनि। इए कारण अछि कि प्रधानमंत्री देउबा भगवान बुद्ध के जन्मस्थान लुंबिनी आओर बोधगया क' एक-दोसर संग जोड़बाक लेल एक बौद्ध सर्किट बनेबाक प्रस्ताव राखलनि। देउबा कहलनि कि एहिसँ दुनू देशक धार्मिक आओर सांस्कृतिक विरासत क' साझा करबा म' सहायता भेटत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।