गिरिराज सिंह के बिहार सरकार पर निशाना, कहलनि दशमी मनेबाक लेल पाकिस्तान जायत हिंदू?

पटना। 25 सितम्बर। केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह कैल्हि रवि दिन बिहार सरकार के ओहि आदेश पर सवाल उठेलनि, जाहिमे दुर्गा प्रतिमा सभके 30 सितम्बर तक विसर्जित करबाक लेल कहल गेल छल। गिरिराज सिंह कहलनि कि प्रशासनिक डेगक नाम पर हिंदु सभ पर धार्मिक अनुष्ठान बदलबाक लेल दबाव नहि बनाओल जे सकैत अछि।

अपने क' बता दी पटना म' जिला प्रशासन द्वारा सभ दुर्गा पूजा समिति क'  निर्देश देल गेल अछि कि सुरक्षा कारण सँ मूर्ति सभके विजय दशमी के दिन पहिने विसर्जित कायल जाय। 1 अक्टूबर क' मोहर्रम अछि। एहि मुद्दा पर सूक्ष्म, लघु आओर मध्यम उद्यम राज्यमंत्री गिरिराज सिंह कहलनि की बिहारक हिंदू दशमी मनेबाक लेल पाकिस्तान आओर बांग्लादेश जायत? 
ओनाकि, बिहारक उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी पटना प्रशासन के आदेशक स्वागत केलनि। सुशील मोदी कहलनि कि ई कानून-व्यवस्था केर मुद्दा अछि, जाहि पर जिला प्रशासन द्वारा सही डेग उठाओल गेल अछि। हम सभ हिंदु आओर मुसलमान बंधू सँ अपील करैत छी कि ओ अप्पन त्योहार क' सांप्रदायिक सद्भाव के संग मनबैथ।

अपने क' बता दी कि एहि सँ पहिने पश्चिम बंगाल म' मुख्यमंत्री ममता बनर्जी द्वारा मुहर्रम के दिन मूर्ति विसर्जन पर रोक लगेबाक आदेश जारी कायल गेल छल। ओनाकि कलकत्ता हाई कोर्ट द्वारा एहि फैसला क' खारिज करैत कहल गेल छल कि मुहर्रम के संगहि मूर्ति विसर्जन सेहो कायल जायत। कोर्ट द्वारा जुलूस क' आमना-सामना होयबा स' रोकबाक लेल कोलकाता पुलिस क' रूट बनेबाक आदेश देल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने