मुजफ्फरपुर : तेज रफ्तार ट्रकक चपेट म' अएला स' 4 पुलिसकर्मी सहित 5 लोगक मौत

मुजफ्फरपुर। 11 सितम्बर। मुजफ्फरपुर जिलाक पानापुर सहायक थाना (ओपी) क्षेत्र म' कैल्हि रविदिन देर राति एक तेज रफ्तार ट्रकक चपेट म' अएला स' से 4 पुलिसकर्मी सहित 5 लोगक मौत भ' गेल, जखनकि 2 पुलिस अधिकारी गंभीर रूप सँ घायल बताओल जे रहल अछि। पुलिस केर मुताबिक, अकुराहां इलाका म' पुलिस दल वाहन सभक जांच म' जुटल छल। पुलिस दल एक कारक तलाशी ल' रहल छल कि एकाएक अनियंत्रित ट्रक कार क' जोरदार टक्कर मारलक आओर ओतहि ठाढ़ पुलिस के जवान सभके दाबी देलक। 

पुलिस के एक अधिकारी कहलनि कि घटनास्थले पर 4 पुलिसकर्मी सहित 5 लोगक मौत भ' गेल। आगा ओ कहलनि कि एहि हादसा म' मुजफ्फरपुर (पश्चिम) केँ पुलिस उपाधीक्षक कृष्ण मुरारी प्रसाद आओर पानापुर ओपी प्रभारी ध्रुवनाथ झा गंभीर रूप सँ घायल छथि। घायल सभके एक निजी अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल अछि। घटनाक बाद चालक आ सह चालक ट्रक छोईड़ फरार बताओल जे रहल अछि। एहि हादसा केर सूचना भेटते जिलाधिकारी धर्मेंद्र सिंह आओर वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक विवेक कुमार समेत कैको उच्च अधिकारी अस्पताल पहुँचलथि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ