मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कैल्हि सोमदिन ऐहिक जानकारी दैत कहलनि कि हम व्यावहारिक रूप सँ नियम आओर परंपरा केरआधार पर केंद्र सरकार स' सीमित राशि केर मांग केना छी। आगा ओ कहलनि कि राज्य सरकार आपदा पीड़ित सभक बीच राहत वितरण के लेल अप्पन खजाना स' 2,451 करोड़ टाका अतिरिक्त उपलब्ध केलक। व्यावहारिक नजरिया अपनाबैत केंद्र सरकार स' 7,636 करोड़ टाकाक आशा प्रकट कायल गेल अछि, जे भेटबाक चाही।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनिकि बिहार म' बाढ़ि सँ बहुत नुकसान भेल अछि। राज्य केँ 19 जिला म' बाढ़िक स्थिति उत्पन्न भेल, जेहिसे 187 प्रखंडक 2371 पंचायत के एक करोड़ 71 लाख 64 हजार केर आबादी प्रभावित भेल छल। राज्य सरकार दिस स' युद्धस्तर पर राहत आओर बचाव काज चलाओल गेल।
आगा ओ कहलनि कि बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र सभसँ लोग सभके सुरक्षित स्थान पर ल' जायल गेल, लोग सभक लेल राहत शिविर सभक संचालन कायल गेल आओर सामुदायिक रसोई केर व्यवस्था कायल गेल। लोग सभक बीच भोजन के पॉकेट आओर सूखा राशन वितरित कायल गेल। बाढ़ि प्रभावित परिवार सभक प्रति परिवार छह हजार टाटाक नगद अनुदान आरटीजीएस केर माध्यम सँ देल जे रहल अछि, एखन धरी 13 लाख परिवार क' अनुदान देल जा चुकल अछि।
नीतीश कुमार दावा करैत कहलनि कि आन बरखक तुलना म' एहि बरख बहुत काज भेल अछि। पुनर्वास आओर जीर्णोद्धार के काज सेहो तेजी स' चलाओल जे रहल अछि। प्रधानमंत्री सेहो 26 अगस्त क' बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र सभक हवाई सर्वेक्षण केना छथि, संगहि पूर्णिया म' बैठक सेहो केना छथि। नीतीश कुमार कहलनि कि बाढ़ि स' जिनकर मकान क' नुकसान पहुंचल, हुनको अनुदान देल जायत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।