उत्तर प्रदेश के मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ सेहो विद्यार्थी सभ पर भेल लाठीचार्ज के मामलाक जांच करबाक आदेश देलनि आओर जल्द सँ जल्द रिपोर्ट मांगलनि। एहि बीच छात्रा आओर छात्र सभ पर भेल लाठीचार्ज के मामला तूल पकैड़ लेना अछि। विद्यार्थी सभक आंदोलन स' आगू बढ़ी आब ई मामला म' राजनीतिक रंग सेहो आएब गेल अछि। कैल्हि रवि दिन उत्तर प्रदेश कांग्रेस के अध्यक्ष राज बब्बर लाठीचार्ज के बाद बीएचयू कैंपस म' पीड़ित विद्यार्थी सभसँ भेट करबाक तैयारी म' छला, ओनाकि हुनका एहिसँ पहिने हिरासत म' लेल गेलनि। बनारस म' हालात तनावपूर्ण अछि। जिला प्रशासन सभ महाविद्यालय क' आय सोम दिन बंद रखबाक आदेश देना अछि। तनावपूर्ण हालात क' देखैत बीएचयू आओर काशी विद्यापीठ क' दशहरा केर छुट्टी सँ एक दिन पहिने बंद करबाक आदेश द' देल गेल अछि। दुनू यूनिवर्सिटी क' 2 अक्टूबर तक बंद रखबाक आदेश देल गेल अछि।

अपने क' बता दी छेड़खानी केर विरोध म' बीएचयू के सिंहद्वार पर दू दिन स' धरना-प्रदर्शन क' रहल छात्रा सभक आंदोलन शनि दिन राति हिंसक भ' गेल छल। पुलिस के लाठीचार्ज, फायरिंग, पथराव आओर आगजनी के बाद कैल्हि रवि दिन बीएचयू के बाहर अशांति केर माहौल रहल। तनाव क' देखैत अतिरिक्त पुलिस बल केर तैनात कायल जेल छल। बीएचयू म' हिंसा के बाद कांग्रेस उपाध्यक्ष राहुल गांधी मोदी सरकार पर निशाना साधलनि। राहुल गांधी ट्वीट करि कहलनि कि बीएचयू म' बेटी बचाओ, बेटी पढ़ाओ के बीजेपी वर्जन।
बीएचयू म' छात्र सभक आंदोलन जखन शुरू भेल त' प्रधानमंत्री मोदी वाराणसी दौरा पर छला। बीएचयू गेट पर चैल रहल एहि आंदोलन के कारण प्रधानमंत्री मोदी केर रूट म' परिवर्तन सेहो करे पड़ल। छात्रा सभ पर लाठीचार्ज के बाद आब राजनीतिक दल सेहो एहि मामला म' उतैर गेल अछि। गौरतलब अछि कि बीएचयू कैंपस म' एक छात्रा संग छेड़खानी होयबाक बाद बीएचयू के सुरक्षाकर्मी सभ पर लापरवाही बरतबाक आरोप लगाओल गेल अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।