नई दिल्ली। 06 सितम्बर। बिहार म' कांग्रेस विधायक सभक टुटबाक आशंका केर बीच पार्टी उपाध्यक्ष राहुल गांधी विधायक सभके दिल्ली बजौलनि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक राहुल गांधी आए विधायक सभक संग बैठक करथिन।
अपने क' बता दी कैको दिन सँ खबैर आएब रहल अछि कि राज्य म' कांग्रेस केर14 विधायक पार्टी क' बागी तेवर देखा रहल छथि। एहि सभ विधायक के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर नेतृत्व बला सत्ताधारी पार्टी जेडीयू म' शामिल होयबाक आशंका जाताओल जे रहल अछि।
गौरतलब अछि कि एहिसँ पहिने पार्टी विधायक सभक छिटकबाक आशंका क' देखैत कांग्रेस के केंद्रीय नेतृत्व बिहार कांग्रेस अध्यक्ष अशोक चौधरी आओर कांग्रेस विधायक दल के नेता सदानंद सिंह क' दिल्ली बजेना छल। कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी दुनू नेता सँ नाराज होएत कहने छलखिन कि हर हाल म' एहि टूट क' रोकबाक अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।