मीसा भारती पर प्रवर्तन निदेशालय केर कार्रवाई, बीजवासन स्थित फॉर्म हाउस सील

नई दिल्ली। 05 सितम्बर। लालू यादव के बेटी मीसा भारती केर मुश्किल बढ़ले जे रहल अछि। आए प्रवर्तन निदेशालय द्वारा मीसा के ऊपर बड़का कार्रवाई काएल गेल। बेनामी संपत्ति मामला म' मीसा के फॉर्म हाउस क' सील क' देल गेल अछि। 

दिल्ली के बिजवासन स्थित फॉर्म हाउस क' प्रवर्तन निदेशालय सील क' देना अछि। गौरतलब अछि कि बेनामी संपत्ति मामलाक जांच क' रहल  प्रवर्तन निदेशालय किछु दिन पहिने मीसा भारती के दिल्ली स्थित कैको ठिकाना पर छापामारी केना छल। ओहिक बाद मीसा आओर हुनकर पति शैलेश सँ ईडी केर अधिकारी कैको बेर पूछताछ सेहो केना छल। एहि फॉर्म हाउस क' मनी लॉन्ड्रिंग एक्ट केर तहत सील काएल गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ