पटना। 06 सितम्बर। प्राप्त खबैर केर मुताबिक़ बिहार म' आएल बाढ़िक लेल गुजरात सरकार मदैद आओर राहत काज हेतु 5 करोड़क चेक देना अछि। ई राशि ओतबे अछि जतबा गुजरात सरकार दिस सँ 2010 म' भेजल गेल छल, ओहि समय नरेंद्र मोदी गुजरात केर मुख्यमंत्री छलाह।
2010 म' जखन बिहार म' बाढ़ि आएल छल, तखनो गुजरात सरकार मदैद लेल 5 करोड़क चेक भेजना छल, मुदा नीतीश कुमार ओहि चेक क' वापस लौटा देना छलखिन।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहिबेरक बदलल राजनीतिक समीकरण म' पूरा तरहे बदलल - बदलल नजैर आबि रहल छथि। एहि बेर ओ एहेन काज क' रहल छथि जे ओ सात परख पहिने नहि केना छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।