पटना म' अतिक्रमण हटबे गेल टीम आओर स्थानीय लोग सभक बीच संघर्ष, पुलिस फायरिंग म' कैको घायल
पटना। 05 सितम्बर। राजधानी पटना म' आए मंगलदिन अतिक्रमण हटबे गेल पुलिस टीम आओर स्थानीय लोग सभक बीच हिंसक संघर्ष भ' गेल। प्राप्त खबैर केर मुताबिक भीड़ क' तितर-बितर करबाक लेल पुलिस क' कैको राउंड फायरिंग करे पड़ल जाहिसँ 15 लोग घायल भ' गेलथि।
पुलिसक टीम जहिना अतिक्रमण हटबे पहुंचल की अस्थानीय लोग सभ विरोध करे लागल। देखते - देखते भीड़ उग्र भ' गेल। बाद म' पुलिस द्वारा भीड़ क' काबू करबाक लेल कैको राउंड फायरिंग काएल गेल। उग्र भीड़ द्वारा कथित तौर पर पुलिसक गाड़ी क' आगिक हवाले करबाक खबैर अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।