उद्घाटन स' ठीक पहिने टूटल बांध, नीतीश कुमार आय लोकार्पण करै बला रहथिन

भागलपुर। 20 सितम्बर। भागलपुर जिलाक कहलगांव म' बनल बांध के  एक हिस्सा कैल्हि मंगल दिन टूईट गेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आय बुध दिन उक्त बांध केर लोकार्पण करबाक लेल एहिठाम पहुंचे बला रहथिन। ऐहिक बाद नीतीश कुमार अप्पन भागलपुर केर दौरा रद्द क' देलनि अछि। 

बताओल जे रहल अछि कि भागलपुर के कहलगांव म' बटेश्वर गंगा पंप नहर परियोजना केर काज बहुत दिन सँ चैल रहल छल। ऐना म' बांधक हिस्सा टुटला सँ एहि परियोजना पर एक बेर फेर सँ ग्रहण लागि सकैत अछि। 

बांधक हिस्सा टुटला सँ आसपास के इलाका म' बाढ़ि जेहेन स्थिति अछि। उद्घाटन स' पहिने परियोजना के तहत बनल नहर म' जहिना पैन छोड़ल गेल की बांधक एक हिस्सा टूईट गेल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ