देखते देखते ध्वस्त भेल पुलिया, बाढ़िक कटाव केर कारण भ' गेल छल कमजोर

मुजफ्फरपुर। 19 सितम्बर। मुजफ्फपुर जिलाक सकरा प्रखंड क' वैशाली जिला सँ जोड़े बला लहोरना पुलिया आय मंगल दिन ध्वस्त भ गेल। बहुत पुरान ई पुलिया बाढ़िक दबाव केर चलते आओर जर्जर भ' गेल छल। आय भोर करीब सात बजे देखते देखते पुलिया भरभरा क' ध्वस्त भ' गेल।  

कदाने नदी पर बनल एहि पुलिया के टुटला स' हाहाकार मैच गेल अछि। मरीचा चौक, बरियारपुर होयत सबहा चौक लग एनएच 28 क' जोड़े बला सड़क पर वाहन सभक रफ्तार थैम गेल अछि। एहि रास्ते पटना जाय बला वाहन सभके अप्पन रूट बदले पैड़ रहल अछि।

कैल्हि सोमदिन पुलिया के एक पाया पूरा तरहे क्षतिग्रस्त भ' गेल छल।  जाहिक कारण स' वाहन सभक आवागमन बंद क' देल गेल छल। आय भोर होयत होयत पुलिया बीच स' ध्वस्त भ' गेल।

पुलिया के टुटला सँ सबहा, मरीचा, बरियारपुर, रघुनाथपुर, बाधी, राजा पाकड़, कटेसर, सकरा बाजित, सकरा सहित करीब एक दर्जन स' बेसी पंचायत प्रभावित भेल अछि। पुलिया के टुटबाक खबैर पर सकरा सीओ अजीत कुमार झा सहित आन अधिकारी पहुँचला। सीओ द्वारा ग्रामीण कार्य विभाग केर अभियंता सभके ओता डायवर्सन बनेबाक निर्देश देल गेल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने