सहरसा। 20 सितम्बर। सिमरी बख्तियारपुर अनुमंडल क्षेत्र के सलखुआ प्रखंड म' नव टोलिया व बगेवा गाम म' कांच दूध स' बनाओल प्रसाद खेला स' एक महिला सहित करीब दू दर्जन बच्चा बीमार बताओल जे रहल अछि। आनन-फानन म' बच्चा सभके इलाजक लेल सलखुआ अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल जता सभक हालत खतरा स' बाहर बताओल जे रहल अछि।
घटना केर संबंध म' बीमार बच्चा सभक परिजन सभ कहलनि कि सलखुआ नवटोलिया व बगेवा गाम म' दू गोटाक महिष क' बच्चा होयबा पर प्रसाद के रूप म' छांकी केर आयोजन कायल गेल छल। दुनू जगह स' प्रसाद लेबाक लेल छोट - छोट बच्चा सभके आमंत्रित कायल गेल छल।
बताओल जे रहल अछि कि पूजा के बाद महिष के कांच दूध स' बनाओल प्रसाद बच्चा सभ जहिना ग्रहण केलक कि सभके उल्टी आओर दस्त शुरू भ' गेल। परिजन सभ द्वारा बच्चा सभक स्थिति बिगड़ैत देख सभके तुरंत अस्पताल म' भर्ती करौलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।