सीतामढ़ी म' बागमती नदी म' नाह पलटला स' दू लोग लापता

सीतामढ़ी। 12 सितम्बर।  सीतामढ़ी जिला म' आय मंगल दिन दुपहर बागमति नदी म' एक नाह पलटबाक खबैर अछि। बताओल जे रहल अछि कि एहि हादसा केर समय नाह पर करीब 30 सँ 35 लोग सवार छल, जाहिमे लगभग सभ लोग हेल क' निकैल गेल मुदा दू लोग लापता बताओल जे रहल अछि। सूचना भेटलाक बाद एसडीआरएफ केर टीम मौका पर पहुंच खोजबीन म' जुटल अछि। एसडीआरएफ केर टीम क' एखन धरी कोनो सफलता नहि भेटल अछि। 

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक, सभ दिन जोका बहरामनगर लग सँ एक छोट नाह पर सवार भ' 30-35 लोग घास काटबाक लेल मधौल दिस जायत छल। बागमती के बीच धारा म' पहुँचबा पर तेज बहाव केर कारण ओवरलोडेड नाह असंतुलित भ' पलैट गेल। 

नाह पर सवार आन लोग हेल क' निकैल गेला। मुदा रुन्नीसैदपुर के हरि राय के पुत्र राजेश राय (22) एवं मुजफ्फरपुर जिलाक औराई के हनुमाननगर के एक किशोरी केर लापता होयबाक खबैर अछि। दुनू क' खोजबाक लेल एसडीआरएफ केर टीम जुटल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने