कोदैर सँ ग्रामीण सभ अपराधी पर करैत रहल वार, लोग तमाशा देखैत रहल

मुजफ्फरपुर। 01 अगस्त। मुजफ्फरपुर म' ग्रामीण सभ द्वारा एक अपराधी क' पीट-पीट हत्या क' देल गेल। मृतक अपराधी के नाम अनुज शाही बताओल जे रहल अछि। ई घटना सरैया राजाराम पुर के रहिया गामक अछि। फिलहाल, पुलिस मामला के जांच क' रहल अछि। पुलिस के मुताबिक, मृतक अपराधी पर उप मुखिया इंद्रदेव महतो के बेटा अनिल महतो क' गोली मारी हत्या करबाक आरोप छल। पुलिस अपराधी के तलाश म' छापामारी क' रहल अछि। 

इसी बीच पुलिस क' सूचना भेटल कि ओ पिकअप वैन म' सवार भ' भागी रहल छथि। पुलिस जखन पिकअप वैन के पाछा करि हुनका पकड़बाक कोशिश तेँ ओ फायरिंग करैत परा गेला। एहि दौरान गामक लोग सभ हुनका पकड़बाक लेल पाछू केलनि। गामक लोग क' पाछा दौड़ैत देख आरोपी अपराधी अंधाधुन गोली चलबे लागलथि। आरोपी द्वारा चलाओल गेल गोली सँ गामक एक युवक घायल भ' गेलथि। एहि बात सँ लोग भड़की गेलथि आओर हुनकर पाछा करैत हुनका पकड़लाक बाद ताधरि पिटैत रहलथि जाधरि हुनकर मौत नहि भ' गेलनि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने