आए एक प्रेस कॉन्फ्रेंस म' आक्रामक तेवर म' नजैर आएब रहल लालू यादव कहलनि कि नीतीश पलटीबाज, पलटूराम छथि। हिनकर एहने राजनीतिक चरित्र रहल अछि। ई गप सभकियो नीक जोका बुझैत अछि। नीतीश कुमार सभसँ बेसी फुईस बाजै बला नेता छथि। हम हुनका नेता बनेलहुँ। हम हुनका छोट भाई जोका बुझैत छलहुँ। छात्रसंघ चुनाव म' वोट दिएबाक नीतीश के गप सरासर फुईस अछि। हम बहुत लोकप्रिय नेता रही आओर अप्पन दम पर छात्रसंघ चुनाव जितना रही।
गौरतलब अछि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कैल्हि सोमदिन एनडीए सरकार के गठन के बाद अप्पन पहिल प्रेस कॉन्फ्रेंस म' लालू प्रसाद पर भ्रष्टाचार के मुद्दा पर जोड़ देना रहथिन। नीतीश कुमार प्रेस कॉन्फ्रेंस म' कहने रहथिन कि तेजस्वी यादव भ्रष्टाचार के आरोप पर कुनू जवाब नहि देबा चाहैत छथि। आगा ओ कहने रहथिन कि 2019 के लोकसभा चुनाव म' प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी क' हरबै बला कियो नहि छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।