अप्पन नेता तेजस्वी यादव केर भविष्य सुधारबा म' जुटल आरजेडी

पटना। 01 अगस्त। महागठबंधन स' जेडीयू के बाहर होएबाक बाद आरजेडी अप्पन नेता तेजस्वी यादव आओर बिहार के पूर्व उपमुख्यमंत्री  तेजस्वी यादव केर भविष्य सुधारबा म' जुटल अछि। पार्टी के लोग तेजस्वी यादव क' नवा ऊंचाई देबाक तैयारी म' लागल छथि। अपने क' बता दी  विधानसभा म' अप्पन भाषण के लेल तेजस्वी यादव खूब वाहवाही बटोरना छथि आओर आब जल्दे ओ पश्चिमी चंपारण सँ पदयात्रा करता। ई उवे जगह अछि, जे राष्ट्रपिता महात्मा गांधी के सत्याग्रह आंदोलन सँ संबंध राखैत अछि। 

अपने क' बता दी आरजेडी सुप्रीमो लालू प्रसाद जता 27 अगस्त क' होमै बला रैली के तैयारी म' जुटल छथि, जाहिमे विपक्ष के कैको नेता हिस्सा लेबै बला अछि, ओतहि तेजस्वी यादव के मुख्य काज मौजूदा राज्य सरकार पर निशाना साधव होएत। लालू यादव कैको वरिष्ठ जेडीयू नेता सभके पार्टी म' शामिल होएबाक लेल आमंत्रित केना छथि ताकि सूबे म' बीजेपी के खिलाफ विपक्ष मजबूत भ' सके। 

बताओल जे रहल अछि कि लालू यादव के नजैर केंद्रीय मंत्री उपेद्र कुशवाहा के आरएलएसपी आओर पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी के पार्टी एचएएम पर सेहो अछि। ई दुनू पार्टी बिहार म' एनडीए के समर्थक अछि मुदा एखन धरी नवा मंत्रालय म' दुनू पार्टी क' कुनू प्रतिनिधित्व नहि भेटल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने