तेजस्वी यादव के "जनादेश अपमान यात्रा" भेल शुरू

पूर्वी चंपारण। 09 अगस्त। विधानसभा म' नेता प्रतिपक्ष आओर पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव 'जनादेश अपमान यात्रा' के प्रथम चरण म' आए मोतिहारी पहुंचला। ऐता के  ऐतिहासिक गांधी मैदान स्थित गांधी बाल उद्यान म' जनादेश अपमान यात्रा के तहत तेजस्वी यादव जनसभा क' संबोधित केलनि।  

तेजस्वी यादव कहलनि कि हम भाग्यशाली छी जे हमरा चंपारण सत्याग्रह शताब्दी वर्ष मनेबाक समय भेटल। ई अगबे जनादेश केर अपमान नहि अछि, बल्कि बापू के विचार सभक अपमान करबाक काज आरएसएस आओर बीजेपी के लोग सभ केना छथि। 

आगा ओ कहलनि कि आए सँ तीन मास पहिने मुख्यमंत्री जीक संग सात किलोमीटर पैदल चलि इसी मूर्ति लग हम संकल्प लेना छलहुँ कि भारत के  विकास होएत। मुदा, एहि गांधी जीक मूर्ति के नीचा हमसभ जे संकल्प लेना रही ओ पूरा नहि भेल।        

  
हम अप्पन गलती सुधारे आएल छी, हम जाहि व्यक्ति संग संकल्प लेना रही ओ आरएसएस सँ मिल गेल छथि। पूज्य बापू सँ हम माफी माँगैत छी। हमरा स' जे भी गलती भेल हम ओहिके सुधारब।


एहेन शक्ति जे देश क' तोड़बाक काज क' रहल अछि। भाई-भाई क' लड़ा रहल अछि। आए ओहि शक्ति सँ लड़बाक संकल्प लेबा आएल छी। अप्पन देश क' बिहार क' एहि तरहक लोग सभसँ बचबे पड़त। सत्ता आबे वा जाए सत्ता साधारण चीज अछि। धरना पर बैसै सँ पहिने तेजस्वी यादव मोतिहारी के कचहरी चौक लग  स्थित बाबा साहेब केर प्रतिमा पर माल्यार्पण केलनि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ