अंधविश्वास अशिक्षा के चलते ग्रामीण इलाका म' लोग सभके किछु लोग ऐसी अफवाह क' दैवीय प्रकोप बता झांसा म' ल' भ्रमित क' रहल छथि, जाहिक चलते ई मामला आब पुलिस सभक लेल सेहो माथक दर्द बनल जे रहल अछि। प्रशासन सेहो लोग सभसँ अपील क' रहल अछि कि यदि आसपास कुनु संदिग्ध व अनजान लोग देखार दिअ तेँ तत्काल ऐहिक सूचना पुलिस प्रशासन क' दी। मुदा पूरा देश म' एखन धरी किनको चोटी काटैत नहि देखल गेल अछि।
एखन पूरा देश म' चोटी कटबाक अफवाह के बजार गर्म अछि। एहि अफवाह लेल किछु लोगक मानब अछि जे एक संगठित गिरोह चोटी काटबाक घटना म' शामिल छथि। किछु लोगक मानब अछि कि तांत्रिक वा तथाकथित ओझा एहि वारदात म' शामिल छथि, किएक जे एहि तरहक घटना घटला सँ लोग हुनका लग इलाज लेल पहुंचत। किछु लोग एहि घटना के पाछू अलौकिक शक्ति के हाथ मानैत छथि। ई "मास हिस्टिरिया" वा "जन भ्रम" केर नीक उदाहरण अछि।
चोटी कटबाक घटना के पाछू कुनू तरहक चमत्कार वा अलौकिक शक्ति नहि अछि। एहि तरहक घटना के शिकार महिला सभ निश्चित तौर पर कुनु आंतरिक मनोवैज्ञानिक द्वंद्व सँ परेशान हेथिन। जखन ओ एहि तरहक घटना के बारे म' सुनैत हेथिन तेँ खुद पर एहेन होयबाक महसूस करैत हेथिन, एहेन कखनो काल अवचेतनावस्था म' सेहो होएत अछि।
"मिथिला दैनिक" समस्त मिथिलांचल वासी सँ अपील करैत अछि कि कियो एहि संबंध म' पसारल जे रहल अफवाह पर ध्यान नहि दी। महिला सभक चोटी कटबाक एखन धरिक घटना सँ पता चलल अछि कि ऐहिके व्यक्तिगत रंजिश म' अंजाम देल जे रहल अछि। सभ गोटा सावधान रही आओर अपना अगल - बगल नजैर राखी। किनको पर कुनु शक हुवे तेँ ऐहिक खबैर तत्काल पुलिस क' दी। तंत्र मंत्र आओर अंधविश्वास बला लोग एहि बहाने अप्पन प्रचार क' रहल छथि, तेँ कतो व्यक्तिगत रंजिश म' एहि घटना क' अंजाम द' रहल छथि। एहिलेल कियो एहि तरहक अफवाह पर ध्यान नहि दी।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।