तेजस्वी यादव केँ 'बाहुबली' अवतार, 27 अगस्तक रैली सँ पहिने पटना म' लगाओल गेल ई पोस्टर

पटना। 23 अगस्त। बिहार म' महागठबंधन केर सरकार टुटलाक बाद राज्य केँ पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव लगातार नीतीश कुमार पर हमलावर छथि। तेजस्वी यादव पूरा प्रदेशक दौरा करैत नीतीश पर वार क' रहल छथि। आगामी 27 अगस्त क' लालू प्रसाद यादव केर नेतृत्व म' विपक्ष केर रैली होमै बला अछि, रैली सँ पहिने पटना म' पोस्टर लागब शुरू भ' गेल अछि, पोस्टर म' तेजस्वी यादव क' बाहुबली अवतार म' देखाओल गेल अछि। 

राजद प्रमुख लालू प्रसाद यादव 27 अगस्त क' 'बीजेपी हटाओ, देश बचाओ' रैली आयोजित क' रहल छथि। एहि रैली म' गैर-एनडीए दल सभक नेता सभ आमंत्रित काएल गेल छथि। आरजेडी केर एहि रैली क' 2019 केँ लोकसभा चुनाव सँ पहिने विपक्षी एकता क' मजबूती भेटबाक तौर पर देखल जे रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने