नीतीश कुमार बाढ़ि राहत शिविर केर केलनि दौरा, खराब खाध सामिग्री लेल डीएम सँ केलनि सवाल

पूर्णिया। 23 अगस्त। बाढ़ि प्रभावित लोग सभके सरकारी कर्मी केर बेरुखी सँ तकलीफ नहि हुवे एहि लेल बिहार सरकार प्रतिबद्ध देखार द' रहल अच्छी। कैल्हि मंगल दिनक सांझ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बाढ़ि प्रभावित पूर्णिया जिलाक राहत शिविर पहुंचला। नीतीश कुमार नहि सिर्फ राहत काज केर जायजा लेलनि बल्कि लोग सभसँ भेंट करि हुनका सभक दुख - दर्द सेहो बुझबाक कोसिस केलनि। 

कैल्हि सांझ पांच बजे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सड़क मार्ग सँ पूर्णिया पहुंचलनि। पूर्णिया केँ सर्किट हाउस म' चाय-नाश्ता करबाक बाद ओ पूर्णिया कॉलेज पहुंचलनि। पूर्णिया कॉलेज म' ओ सूखा राशन पैकेजिंग सेंटर केर व्यवस्थाक जायजा केलनि। नीतीश कुमार मसूरक दाएल, चूड़ा, सोयाबीन, नून सहित हर चीज केर बारीकी सँ जांच केलनि। नीतीश कुमार  चूड़ा आओर चाउर क' सूंघी क' सेहो देखलनि।

ऐहिक बाद नीतीश कहलनि कि ‘सभ ठीक ठाक बुझा रहल अछि’। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार डीएम प्रदीप कुमार झा क' इशारा सँ बजा पुछलनि जे चूड़ा आओर चाउर कता सँ मंगेलहुँ? एहि पर डीएम जबाब देलनि कि ‘किछु एफसीआई सँ आओर कुछ बाजार सँ सेहो मँगाओल गेल अछि’। नीतीश कुमार डीएम सँ कहलनि कि कुनु भी हालत म' अनाज केर  गुणवत्ता सँ समझौता नहि होएबाक चाही। कुनु तरहक समस्या भेला पर तत्काल हमरा सँ बात करि। मुदा सभके अनाज नीक गुणवत्ता बला भेटबाक चाही।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ