इटावा। 23 अगस्त। उत्तर प्रदेश म' चारि दिनक भीतर दोसर बेर फेर सँ बड़का रेल हादसा भेल अछि। दिल्ली-हावड़ा रेल मार्ग पर औरैया लग कैफियत एक्सप्रेस एक डंपर सँ टकरा दुर्घटनाग्रस्त भ' गेल। दुर्घटना अछल्दा आओर पाता रेलवे स्टेशन के बीच भेल। एहि दौरान इंजन सहित 8 डिब्बा बेपटरी भ' गेल।
कैल्हि राति 2:40 बजे भेल एहि हादसा म' 74 यात्री घायल भेलथि, जाहिमे 4 केर हालत गंभीर बताओल जे रहल अछि। एहि चारु म' दू क' इलाजक लेल इटावा आओर दू क' सैफई भेजल गेल अछि। बाकी घायल सभके आस पासक अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल अछि। एखन धरी कुनु यात्री के मौतक खबैर नहि अछि। ट्रेनक ड्राइवर आनंद कुमार क' माथ म' चोट आएल अछि। बांकी सभ यात्री क' बस सँ सुरक्षित स्थान' पर पहुँचाओल गेल। मौका पर राहत काज तेज़ी सँ चलाओल जे रहल अछि।
बताओल जे रहल अछि कि जे डंपर ट्रेन सँ तकरायल, ओ रेलवे के काज म' लागल छल। बालू सँ भरल डंपर ट्रैक पर पलैट गेल छल, मुदा ऐहिक खबैर रेलवे अधिकारी सभके नहि देल गेल छल।डंपर पलटबाक बाद ओहिक ड्राइवर ओता सँ फरार भ' गेल छल।
रेलवे के कुनु स्टाफ ऐहिक सुध नहि लेलनि। राति 2.40 बजे कैफियत एक्सप्रेस ऐता सँ गुजराल आओर डंपर सँ टकरा गेल। साफ अछि कि रेलवे केर लापरवाही एक बेर फेर हादसा केर कारण बनल। रेलमंत्री सुरेश प्रभु कहलनि कि ओ घटना पर नजैर बनेना छथि।
अपने क'बता दी पछिला शनिदिन पुरी सँ हरिद्वार जाय बला उत्कल एक्सप्रेस मुजफ्फरनगर लग दुर्घटनाग्रस्त भ' गेल छल। एहि दुर्घटना म' 22 लोगक मौत भ' गेल छल।
एहि बरखक रेल दुर्घटना;
- 21 जनवरी 2017: कुनेरू लग जगदलपुर-भुवनेश्वर हीराखंड एक्सप्रेस बेपटरी भेल, 40 सँ बेसी केर मौत, 68 घायल।
- 7 मार्च, 2017: मध्य प्रदेश के जबरी रेलवे स्टेशन लग भोपाल-उज्जैन पैसेंजर ट्रेन म' बम फुटल, 10 घायल।
- 30 मार्च, 2017: उत्तर प्रदेश के महोबा म' महाकौशल एक्सप्रेस बेपटरी भेल, 50 सँ बेसी घायल।
- 15 अप्रैल 2017: मेरठ-लखनऊ राज्यरानी एक्सप्रेस के 8 डिब्बा उत्तर प्रदेश म' रामपुर लग बेपटरी भेल 10 लोग घायल।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।