पटना। 31 जुलाई। पटना हाई कोर्ट नीतीश कुमार के पार्टी JDU के BJP संग मिल नवा सरकार बनेबाक चुनौती देबै बला जनहित याचिका खारिज क' देलनि। हाई कोर्ट के चीफ जस्टिस राजेंद्र मेनन आओर जस्टिस ए. के. उपाध्याय केर खंडपीठ सभ पक्षक सुनबाक बाद जनहित याचिका खारिज कएलनि आओर कहलनि कि विधानसभा म' शक्ति परीक्षण के बाद अदालत क' हस्तक्षेप करबाक आवश्यकता नहि अछि।
एक याचिका RJD विधायक सरोज यादव एवं चंदन वर्मा आओर दोसर याचिका समाजवादी पार्टी (एसपी) के सदस्य जितेंद्र कुमार दायर केना छलखिन। कोर्ट विगत शुक्रवार दिन एहि मामलाक सुनवाई आए सोम दिनक लेल स्थगित केना छल। कोर्ट म' दायर जनहित याचिका म' कहल गेल छल कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आओर राज्यपाल केसरी नाथ त्रिपाठी नवा सरकार बनेबाक फैसला केर दौरान नियम सभक अनदेखी केलथि।
जनहित याचिका के अलावा RJD द्वारा इयो कहल गेल कि ओ नीतीश सरकार के खिलाफ सुप्रीम कोर्ट जेता। लालू यादव कहलनि कि ओ सुप्रीम कोर्ट के वकील सभसँ सेहो एहि बारे म' केना छथि। अपने क' बता दी नीतीश सरकार शुक्रदिन विश्वास मत हासिल कएलनि। NDA एहि नवा सरकार म' गठबंधन साझेदार अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।