पावर स्टेशन म' बाढ़िक पैन घुसला सँ बिजली सेवा ठप भ' गेल अछि। दरभंगा म' करीब 22 लाख लोग बाढ़ि सँ पीड़ित छथि। पावर स्टेशन म' पैन घुसलाक बाद सँ कैको गाम म' बिजली सप्लाई नहि भ' रहल अछि। दरभंगा के डीएम चंद्रशेखर केर मुताबिक पावर स्टेशन म' बाढ़िक पैन घुसला आओर पावर सप्लाई बाधित भेला सँ 10-12 गाम प्रभावित भेल अछि।
डीएम चंद्रशेखर कहलनि कि 22 लाख लोग बिजली नहि भेटबा सँ परेशान छथि। दू पावर सब-स्टेशन म' बाढ़िक पैन घुइस गेल अछि। एक दू दिन म' एहि समस्याक हल निकालल जाएत।
ओतहि, स्थानीय लोग सभक कहब अछि कि पछिला 15 दिन सँ पावर स्टेशन म' बाढ़िक पैन घुसल अछि। कैको दिन सँ बिना बिजली के रहबाक लेल मजबूर छथि। बिजली नहि होयबाक कारण सँ पिबै बला पैन सेहो नहि भेट रहल अछि। हालात म' कुनु सुधार नहि भ' रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।