पटना। 31 अगस्त। बिहारक सिंगल लेन बला सभ स्टेट हाइवे क' अगिला तीन बरखक दौरान डबल लेन म' बदलल जाएत। मुख्यमंत्री सचिवालय स्थित संवाद कक्ष म' पथ निर्माण विभाग आओर परिवहन विभाग केर उच्चस्तरीय समीक्षात्मक बैठकक क्रम म' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संबंधित विभाग केर पदाधिकारी सभके आवश्यक दिशा-निर्देश देलनि। पथ निर्माण विभाग के समीक्षा बैठकक दौरान मुख्यमंत्री प्रदेश केँ कुल 4,005 किलोमीटर राज्य राजमार्ग, जाहिमे 1,320 किलोमीटर सिंगल लेन बचल अछि ओहिके दू लेन करबाक निर्देश देलनि।
बैठकक बाद मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह कहलनि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पथ निर्माण विभाग केर अधीन पथ म' 335 तंग या स्क्रू पाइल ब्रिज क' अगिला तीन बरख के भीतर आरसीसी ब्रिज बनेबाक निर्णय लेलनि। जाहिक लेल एहि बरखक बाढ़िक अनुभव क' ध्यान म' राखैत जतेक बहाव जरूरी अच्छी, ओतबा करबाक निर्देश देलनि। मुख्य सचिव कहलनि कि बैठक म' भारत-नेपाल बॉर्डर रोड म' बाढ़िक कारण भेल क्षति केर मद्देनजर अतिरिक्त पुल सभक प्रावधान करबाक सेहो निर्णय लेल गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।