राज्यसभा सदस्यता पर संशय के बीच शरद यादव खुद उपराष्ट्रपति वेंकैया नायडू क' एक पाती लिख नीतीश कुमार केर जदयू अध्यक्षता क' चुनौती देलनि। शरद यादव जेडीयू के सांसद कौशलेंद्र क' सेहो एहि बाबत पाती लिखलनि। गौरतलब अछि कि शरद यादव के राजद द्वारा आहूत महारैली म' भाग लेबा पर नीतीश कुमार जदयू नेता शरद यादव केर राज्यसभा सदस्यता खत्म करबाक लेल बयानबाजी क' रहल छथि।
बताओल जे रहल अछि कि राज्यसभा सदस्यता पर जारी अनिश्चितता के बीच शरद यादव दावा केलनि कि पार्टी केर बहुमत नीतीश कुमार के भाजपा संग गठबंधन क' केर समर्थन नहि करैत अछि।
बताओल जे रहल अछि कि शरद यादव केर एहि पाती ल'क' जेडीयू प्रवक्ता नीरज कुमार हुनका पर हमला करैत कहलनि कि शरद यादव राज्यसभा केर सदस्यता बचेबाक लेल फुइस बाजी रहल छथि आओर महागठबंधन टुटबाक बाद सँ शरद यादव बगावती तेवर अपनेना छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।