कांवरिया सँ भरल गाड़ी पलटला सँ एक कांवरिया केर मौत 22 घायल

कटिहार। 04 अगस्त। कटिहार जिलाक कुर्सेला थाना क्षेत्र के एनएच-31 के देवीपुर आईबीपी पेट्रोल पंप लग पश्चिम बंगाल के उत्तर दिनाजपुर सँ देवघर जे रहल कांवरिया सँ भरल गाड़ी अनियंत्रित भ' सड़कक कात खधैर म' पलैट गेल। एहि हादसा म' मौके पर दस बरखक एक मासूम केर मौत भ' गेल जखनकि 22 गोटा घायल बताओल जे रहल अछि। 

घायल कांवरिया सभके ग्रामीण सभक मदैद सँ स्थानीय कुर्सेला प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र म' भर्ती कराओल गेल, जता चिकित्सक टीम द्वारा सात कांवरिया के हालत नाजुक देखैत हुनका सभके कटिहार सदर अस्पताल रेफर क' देलनि। 

मौका पर पहुँचल कुर्सेला थानाध्यक्ष विनोद कुमार सिंह कहलनि कि घटना बाइक सवार क' बचेबा म' घटित भेल। सभ कांवरिया पश्चिम बंगाल के उत्तर दिनाजपुर के रानिदिग्घी गामक बताओल जे रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने