बेनामी संपत्ति विवाद म' बैढ़ सकैत अछिलालू यादव के परिवारक मुश्किल

पटना। 05 अगस्त। आरजेडी सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव केर परिवारक मुश्किल बढ़ैत नजैर आएब रहल अछि। आरजेडी प्रमुख के 150 सँ बेसी बेनामी संपत्ति पर जांच एजेंसी के शिकंजा कसैत देखार द' रहल अछि। बिहार म' महागठबंधन टुटबाक बाद सत्ता सँ बेदखल भेल आरजेडी के मुखिया राज्य आओर केंद्रीय जांच एजेंसी सभक निशाना पर छथि। इस बीच लालू के बेटा आओर बिहार के पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आओर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के खिलाफ कैंपेन शुरू करबाक ऐलान केलनि। 

एक जांच अधिकारी नाम नहि बतेबाक शर्त पर बतौलनि कि लालू परिवार के संगे संग आरजेडी के 100 सँ बेसी कार्यकर्ता सभक खिलाफ सेहो  एफआईआर दर्ज काएल गेल अछि आओर हुनका पकड़ल जे रहल अछि।  एखन बहुत एहेन केस अछि जे पेंडिंग पड़ल अछि, मुदा जल्दे ओहिक जांच सेहो शुरू होएत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ