अलग पार्टी बनबै बला खबैर क' शरद यादव केलनि ख़ारिज

पटना। 04 अगस्त। नीतीश कुमार के बीजेपी संग मिल सरकार बनेबाक  बाद लगातार अटकला लगाओल जे रहल छल कि शरद यादव अलग पार्टी बना गठबंधन म' बनल रहता। मुदा शरद यादव एहि अटकला क' खारिज क' देलनि। शरद यादव के करीबी नेता विजय वर्मा कहने छलखिन कि शरद यादव पुरान सहयोगी सभक संपर्क म' छथि। एहि पर शरद यादव कहलनि कि विजय वर्मा हमार बहुत पुरान मित्र छथि, ओ जे किछु बाजला भावना म' कहला। ऐहिक मतलब ई नहि बुझबाक चाही कि कुनू नवा पार्टी बनेबाक भूमिका बनाओल जे रहल अछि। नवा पार्टी बनेबाक सवाले नहि उठैत अछि। 

अपने क' बता दी विजय वर्मा कहने छलखिन कि शरद यादव महागठबंधन म' बनल रहे चाहैत छथि आओर ऐहिक लेल ओ कांग्रेस के नेता सभसँ भेंट केलथि। ओनाकि विजय वर्मा के एहि बयानक बाद जेडीयू के वरिष्ठ नेता केसी त्यागी स्पष्टीकरण देना रहथिन। केसी त्यागी कहने छलखिन कि शरद जी भ्रष्टाचार के विरोधी छथि आओर एहि बात ल'क' ओ पहिनो लालू प्रसाद यादव सँ अलग भेल रहथिन, फेर हुनका संग जेबाक सवाले नहि उठैत अछि। अपने क' बता दी 31 जुलाई दिन शरद यादव कहने रहथिन कि महागठबंधन के बिखरब दुर्भाग्यपूर्ण अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने