मिथिला समेत सगर बिहार के 16 जिला म' पसरल बाढ़िक पैन, एखन धरी 230 केर मौत

गोपालगंज। 18 अगस्त। राज्य भरी म' बाढ़िक पैन एखन धरी 16 जिला म' पसैर गेल अछि आओर 98 लाख लोग बाढ़िक पैन म' घेराओल छथि। पूरा राज्य म' 230 लोगक मौत केर खबैर अछि। सरकारक दावा अछि कि कैल्हि गुरुदिन धरी बाढ़िक कारण सँ सिर्फ 119 लोगक मौत भेल अछि।

जखन कि अगबे मिथिलांचल क्षेत्र म' एखन धरी 131 लोगक मारबाक खबैर अछि। मुजफ्फरपुर आओर आसपास के जिला म' एखन धरी  94 लोगक मौत भ' चुकल अछि। 

बाढ़िक विक्राल स्थिति क' देखैत कैल्हि गुरुदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आओर उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी गोपालगंज, बगहा, बेतिया, रक्सौल आओर मोतिहारी के बाढ़ि प्रभावित इलाका केर हवाई सर्वेक्षण केलनि।

आपदा प्रबंधन विभाग के प्रधान सचिव प्रत्यय अमृत कहलनि कि भारतीय मौसम विज्ञान सँ भेटल पूर्वानुमान केर मुताविक अगिला सात दिन धरी प्रदेश म' बारिश केर आसार नहि अछि। किछु जगह पर छिटपुट बारिश होएत। यदि बारिश नहि भेट तँ बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र म' स्थिति सुधरत। 

प्रदेश के नदि सभक जलस्तर कम भेलाक बादो लाखों आबादी त्रासदी झेलबाक लेल मजबूर छथि। कैल्हि बाढ़िक पैन म' डूबला सँ 16 लोगक मौत भ' गेल। एहि म' पूर्वी चंपारण के 7, मधुबनी के 2, समस्तीपुर के 1 आओर सीतामढ़ी के 4 लोग शामिल छथि।

पश्चिम चंपारण म' स्थिति यथावत अछि। आए पांचम दिन सेहो  मुजफ्फपुर-बेतिया -गोरखपुर रेलखंड पर रेल यातायात ठप रहल। गोपालगंज जिला म' बाढ़िक स्थिति भयावह भ' गेल अछि। बुधदिन सिधवलिया प्रखंड के सदौवा गाम लग सारण मुख्य तटबंध टुटलाक बाद एनएच-28 क' पार करि पैन गाम आओर खेत सभके डुबबैत बही रहल अछि। एनएच-28 पर तीन फिट पैन होयबाक कारण सँ प्रशासन द्वारा  हाईवे पर वाहन सभक आवागमन पर रोक लगाओल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने