स्थानीय ग्रामीण सभक मदैद सँ तटबंध केर रिसाव बंद करबा म' जुटला समाजसेवी राकेश कुमार ठाकुर

दरभंगा। 18 अगस्त। [मिहिर कुमार झा "बेला"] बाढ़िक चपेट म' आएल दरभंगा केर घनश्यामपुर प्रखण्डक गौड़ गाम म' तटबंध केँ कैको जगह पर  रिसाव शुरू भ' गेल अछि। ओहि रिसाव क' बंद करबाक लेल बेनीपुर प्रखंड केर युवा समाजसेवी आओर पूर्व कार्यकारणी सदस्य दरभंगा भाजपा  राकेश कुमार ठाकुर अप्पन कोष सँ स्थानीय ग्रामीण सभक संग विभागीय मजदूर सभक सहयोग सँ रिसाव बंद करबा म' जुटल छथि। 

अपने क' बता दी दरभंगा जिलाक घनश्यामपुर प्रखण्ड म' कमला - बलान नदी म' जारी उफान सँ कैको गाम बाढ़िक पैन सँ घेराओल अछि। बाढ़िक पैन बहुत तेजी सँ निचला इलाका क' डुबबैत कैको गाम म' प्रवेश भ' गेल अछि। जाहिसँ बाऊर, नवटोलिया, गिद्धा, गिदराही, कनकी - मुसहरी, बैजनाथपुर, भरसाहा, लगमा मुसहरी, कैथाही आदि गाम टापू म' बदैल गेल अछि। पैनक बढ़बाक सँ लोग ऊंच जगह दिस पलायन क' रहल छथि।

बाढ़ि सँ पश्चिमी तटबंध पर पैनक दबाब बढ़ी गेल अछि, जाहिसँ तटबंध म' कैको जगह रिसाव शुरू भ' गेल अछि। यदि रिसाव पर काबू नहि पाएल गेल तेँ तटबन्ध टुटला सँ बिरौल अनुममण्डल संगे संग गौडाबोरामक सैकड़ों गाम म' बाढ़िक पैन घुसी जाएत जाहिसँ जान माल के संगे संग फसल सेहो बर्बाद होएत। 

बेनीपुर प्रखंड केर युवा समाजसेवी आओर पूर्व कार्यकारणी सदस्य दरभंगा भाजपा राकेश कुमार ठाकुर उर्फ सोनू ओनहियो अप्पन कोष सँ सदिखन अप्पन समाज, अप्पन क्षेत्रक लेल 24 घंटा मुसीबत म' ठाढ़ रहैत छथि। हुनकर एखुनका काज सराहनीय अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ