जानकारी केर मुताविक, लगातार बढ़ी रहल बागमती नदी के पैन दरभंगा शहर के वार्ड नं. 9 म' घुईस गेल, जाहिसँ रत्नोपट्टी, शुभंकरपुर, सिमरा, निहालपुर, तेलिया पोखर इलाका बाढ़िक पैन म' डूबल अछि।
शहरी इलाका म' बाढ़िक पैन घुसला सँ लोग सभक बिच दहशत केर माहौल अछि। पाधिक पैन अएला सँ लोग अप्पन सामान ल' घर छोड़ी सुरक्षित स्थान पर जे रहल छथि।
एम्हर दरभंगा के जाले, मरैठा के बहुत खराब स्थिति अछि। एहिठाम सड़क संपर्क जिला सँ कैट गेल अछि। यातायात पूर्णतः बाधित अछि। जिलाक हजारो लोग मुरैठा रेलवे स्टेशन पर शरण लेना छथि। खबैर अछि कि एखन धरी हिनका सभके कुनु तरहक सरकारी सुविधा नहि पहुंचल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।