मधुबनी : ट्रिपल मर्डर केस म' सात आरोपी क' उम्र कैद

मधुबनी। 01 जुलाई। ट्रिपल मर्डर केस म' कोर्ट सात आरोपी क' आजीवन कारावास केँ सजा सुनेना अछि। ऐहिक संगे 50-50 हजार के जुर्माना सेहो  लगेना अछि। सभ आरोपी क' मंडलकारा मधुबनी भेज देल गेल अछि।

अपने क' बता दी ट्रिपल मर्डर मामला जयनगर थाना के बेला गामक अछि, जता जमीनक लेल भेल विवाद म' 14 नवंबर 2010 क' घर म' घुसिके तीन लोगक हत्या क' देल गेल छल। एहि हत्याकांड म' पड़ोसी क' आरोपी बनाओल गेल छल। 

वारदात के सात बरख बाद एफटीसी 1 के न्यायाधीश विनय कुमार सिंह  सात आरोपी क' आजीवन कारावास के सजा सुनौलनि। सात दोषी म' एक महिला नईमा खातून, मो.एनुल, मो. अयूब, मो. सज्जाद, मो. शमशेद आओर मो. नईम शामिल अछि। सभ पर 50 -50 हजार के जुर्माना सेहो  लगाओल गेल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ