
पटना। 03 जुलाई। राष्ट्रपति चुनाव म' एनडीए उम्मीदवार रामनाथ कोविंद केर समर्थन करबाक बाद कांग्रेस के निशाना पर आएल नीतीश कुमार जोरदार पलटवार केलनी। नीतीश कुमार कहलनि कि "हम आँखि पर पट्टी बान्हि किनको पिछलग्गू नहि बनब, जे होयबाक होयत ओ भ'क' रहत। हमर एकहि सिद्धांत अछि, हमर सिद्धांत अटल अछि।' नीतीश कुमार पटना म' पार्टी पदाधिकारि सभक एक बैठक क' संबोधित करैत छला। कांग्रेस पर हमला करैत नीतीश कुमार कहलनि कि हमर सिद्धांत नहि बदलल, हुनकर (कांग्रेस के) सिद्धांत बदैल गेल अछि। लोहिया जी कांग्रेस क' सरकारी गांधीवादी कहने छला।
बिहार के मुख्यमंत्री दू टूक कहलनि कि ओ आँखि बंद करि किनको विचारधारा क' नहि अपनेता। आगा ओ कहलनि कि हुनकर अपन ख़ुदक विचार अछि आओर ओ ओहिपर विश्वाश करैत छथि। कांग्रेस पर तंज कसबाक लेल ओ राम मनोहर लोहिया केँ सहारा लेलनि। नीतीश कुमार कहलनि कि महान नेता कांग्रेस क' सरकारी गांधीवादी कहने छला जे गांधीवादी नियम केर उपयोग राजनीतिक फायदाक लेल करैत अछि।
बिहार म' महागठबंधन म' दरार के अटकला पर नीतीश कुमार कहलनि कि, हमरा बारे म' बहुतो तरहक कयास लगाओल जे रहल अछि। किछु लोग कहैत छथि कि लालू केँ दबाव म' हम काज करैत छी तेँ किछु लोग कहैत छथि कि हम बीजेपी संग चल जाएब। मुदा ई सब बकवास थीक, हम बिहारे म' राजनीति करब। बिहारक विकास लेल काज करब। अगस्त म' आरजेडी केँ प्रस्तावित रैली म' शिरकत करबाक सवाल पर नीतीश कुमार कहलनि कि यदि आमंत्रण भेटत ते ओहि रैली म' जरूर शामिल होयब।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।