एक युवक क' भारी पड़ल शादीशुदा प्रेमिका संग प्यार, 20 घंटा धरी भेल पिटाई

मुजफ्फरपुर। 01 जुलाई। एक प्रेमी-प्रेमिका के पिटाई संग दुनु केँ करीब 20 घंटा धरी बंधक बना रखबाक मामला सामना आएल अछि। जानकारी केर मुताबिक, युवक केँ शादीशुदा प्रेमिका कथैयाथाना क्षेत्र म' रहैत छथि।  प्रेमिका अपन पति के जायते प्रेमी क' फाेन करि घर पर बजा लेली। पड़ोसी सभके बुझल छल कि उक्त महिला के पति घर सँ बाहर अछि। रातिमे महिला केँ घर पर हलचल देखि गामक लोग तो इकट्ठा भ' हुनका 30 बरखक प्रेमी मोहम्मद अरशद संग आपत्तिजनक हालत म' पकैड़ लेलनि। ऐहिक बाद योग सभ युवक क' घसीट क' घरक बाहर आनलन्हि।

फेर पंचायतक आदेश पर ग्रामीण सभ अरशद आओर उक्त महिला का' एक गाछ सँ बान्हि देलैन्ह आओर दुनुके पिटाई शुरू क' देलनि। ई सब कैको  घंटा चलल। गामक किछु लोग एहि घटना केँ वीडियो बना सोशल मीडिया पर द' देलनि, जाहिके वायरल होयते पुलिस ओता पहुंच दुनू क' ग्रामीण सभक चंगुल सँ छुड़ा अस्पताल म' भर्ती करौलनि। बताओल जे रहल अछि कि प्रेमी अरशद सीतामढ़ी के परसा के रहे बला छथि। 2 बरख पहिने अरशद के मुलाकात महिला स' भेल छल, महिला दुइ बच्चा के माय छथि।  बाद म' दुनू केँ फोन पर गप होमे लागल, जे जल्दे प्यार म' बदैल गेल।  अरशद महिला के घर ऐब - जेब शुरू क' देलनि। महिला अपन पति क' कहली कि अरशद हुनकर रिश्तेदार अछि। फिलहाल पुलिस महिला के बयान पर ग्रामीण सभक खिलाफ एफअाईअार दर्ज केना अछि। ओतहि, महिला के पति सेहो प्रेमी युवक केर खिलाफ थाना म' शिकायत दर्ज करौलनि अछि।पुलिस मामला के जांच क' रहल अछि।  

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने