बनगाँव म' जलनिकासी केँ मांग लेल तीन दिन सँ अनशन पर बैसल अनशनकारी सभक हालत गंभीर

सहरसा। 11 जुलाई। कैको बरख सँ सहरसा जिलाक कहरा प्रखंड के बनगाँव उत्तरी आओर दक्षिणी पंचातक ग्रामीण सभ द्वारा गाम म' जलनिकासी, जर्जर बिजली तार आओर स्वास्थ्य सेवा म' भारी गिरावट ल'क' कैको बेर प्रशासन सँ उचित डेग उठेबाक मांग करबाक बावजूद कुनु कार्रवाई नहि होयत देख पछिला रवि दिन सँ बनगाँव के कलावती उच्च विद्यालय खेल मैदान स्थित शहीद रमन झा स्मारक पर राहुल कुमार झा आओर चमन झा केर नेतृत्व म' दर्जनों ग्रामीण अनिश्चित कालीन अनशन पर बैस गेलथि। अनशन केँ आए तेसर दिन अछि आओर अनशन पर बैसल अनशनकारी सभक स्थिति गंभीर बताओल जे रहल अछि। अनशनकारी सभक स्थिति गंभीर होएत देख डॉक्टर के टीम अनशन स्थल पर पहुँच अनशनकारी सभसँ अस्पताल म' भर्ती होयबाक विनती केलनि, मुदा अनशनकारी राहुल कुमार झा डॉक्टर के टीम क' कहलनि कि जाधरि हमरा सभक मांग पूरा नहि होएत हम सभ कतहुँ नहि जाएब। 
रवि दिन सँ शुरू भेल अनशन के दोसर दिन सँ क्षेत्र के कैको आन प्रतिनिधि सभक अनशनकारी सभके समर्थन भेटब शुरू भ' गेल। रवि दिनक सांझ क' पूर्व विधायक डॉ आलोक रंजन अनशनकारी सभ सँ भेंट करी हुनकर सभक समस्या सुनबा पर वर्तमान सरकार आओर प्रशासन द्वारा गामक मूलभूत सुविधा क' दरकिनार करबाक आरोप लगबैत बहुत  निंदा केलनि। डॉ आलोक रंजन अनशनकारी सभके अपन पूरा समर्थन दैत एहि समस्या क' जल्द सँ जल्द हल करबाक लेल अपन स्तर सँ प्रशासन पर दबाव बनेबाक बात कहलनि। 
कैल्हि अनशन के दोसर दिन बनगाँव दक्षिणी के पंचायत समिति सदस्य रंजीत भगत सेहो अनशनकारी सभक संग अनशन पर बैस रहला। कैल्हि सोम दिन भाजपा महिला प्रकोष्ठ के प्रदेश उपाध्यक्ष लाजवंती झा, बनगाँव  दक्षिणी के मुखिया विनोद झा, सरपंच गुलाब खाँ, पंचायत समिति सदस्य अमित झा, समाजसेवी पारस कुमार झा, गौरव कुमार मिश्र, विष्णु प्रसाद झा, शंकर झा, जहांगीर आलम, राघव कुमार के संगे संग बहुत रास ग्रामीण सेहो अनशन क' रहल अनशनकारी सभके अपन नैतिक समर्थन दैत एहि संघर्ष म' सहयोग करबाक बात कहलनि। 

एहि बाबत प्रशासन के निर्देश पर अनशनकारी सभक मांग क' देखैत पथ निर्माण विभाग के सहायक अभियंता अजय राम आओर कनीय अभियंता सुधीर कुमार सिंह बनगाँव के मुख्य सड़कक जायजा लेलनि आओर अनशनकारी सँ भेंट करी जलनिकासी हेतु आवश्यक डेग उठेबाक बात कहलनि। ओतहि अनशनकारी आओर अनशन के समर्थन क' रहल ग्रामीण सभ द्वारा जलनिकासी हेतु त्वरित कार्रवाई नहि कएला तक अनशन जारी रहबाक बात कहलनि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ