जेडीयू के बैठक खत्म, 4 दिन म' होएत उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव के फैसला

पटना। 11 जुलाई। जदयू कार्यकारिणी के बैठक म' फैसला लेल जेल कि राजद पर जे आरोप लगाओल गेल अछि ओहिसँ जुडल तथ्य जनता के समक्ष राखल जाए। राजद के नाम लेना बिना स्पष्ट काएल गेल कि यदि आरोप लागल अछि तेँ जनताक अदालत म' जाऊ। जनता के समक्ष अपन बात राखु। आए मंगल दिन जदयू कार्यकारिणी के बैठक के बाद भेल प्रेस कॉन्फ्रेंस म' जदयू प्रवक्ता कहलनि कि हम गठबंधन धर्म निभाएब मुदा सहयोगी पार्टी स' सेहो एहने अपेक्षा राखैत छी। 

जदयू प्रवक्ता नीरज कुमार कहलनि कि जखन भी एहितरहक आरोप लागल तखन - तखन पार्टी अपन मंत्री सभ पर कार्रवाई केलक। पार्टी अपन सिद्धांत स' समझौता नहि करत। ओतहि जदयू नेता रमई राम कहलनि कि तेजस्वी यादव लेल आबाई बला चारि दिन म' फैसला काएल जाएत। 

प्रेस कॉन्फ्रेंस म' जदयू के कैको वरिष्ठ नेता मौजूद छला। पार्टी के वरिष्ठ नेता वशिष्ठ नारायण सिंह सेहो प्रेस कॉन्फ्रेंस म' रहे बला छला ओ प्रेस कॉन्फ्रेंस म' नहि पहुंचला। बैठक स' पहिने जदयू नेता सभक कहब छलैन्ह कि नीतीश कुमार मूल्य सँ कहियो समझौता नहि करता। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने