
पटना। 11 जुलाई। बिहार म' लालू आओर नीतीशकेँ महागठबंधन टूटत वा नहि? तेजस्वी यादव उपमुख्यमंत्री बनल रहता वा नहि? एहि तरहक सभ सवाल के जबाब आए जेडीयू के प्रदेश कार्यकारिणीक बैठक के बाद भेटबाक उम्मीद काएल जे रहल अछि। मानल जे रहल अछि कि लालू परिवार पर पड़ल छापा ल'क' चुप बैसल नीतीश कुमार एहि बैठक म' अपन चुप्पी तोइड सकैत छथि। ओनाकि शरद यादव कैल्हि सोम दिन एहि छापाक पाछा बीजेपी के हाथ बतौलैन्ह, मुदा जेडीयू नेता इयो कही रहल अछि कि पार्टी अपन सिद्धांत सँ कुनु समझौता नहि करत, जे एहि बातक संकेत अछि कि नीतीश कुनु कड़ा फैसला ल' सकैत छथि।
कैल्हि सोम दिन पटना म' आरजेडी विधायक सभक बैठक के बाद पार्टी दिस सँ साफ तौर पर कहल गेल कि तेजस्वी अपन पद स' इस्तीफा नहि देता। ऐना म' आब गेंद नीतीश कुमार के पाला म' अछि। बीजेपी लगातार तेजस्वी यादव क' मंत्रिमंडल सँ हटेबाक लेल नीतीश कुमार पर दबाव बना रहल अछि। जेडीयू के राष्ट्रीय महासचिव संजय झा कहलनि कि जेडीयू अपन सिद्धांत आओर जनता के बीच बनल अपन छवि सँ कुनु समझौता नहि करत।
एहि बीच कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी सेहो आए विपक्ष के नेता सभक बैठक बजौना छथि। मानल जे रहल अछि कि आरजेडी आओर जेडीयू के बीच 'टकराव' के छाया एहि बैठक पर सेहो देखबाक लेल भेट सकैछ। मीटिंग पर भी देखने को मिल सकती है। अपने क' बता दी लालू के खिलाफ सीबीआई के केस आओर बेनामी संपत्ति मामला म' हुनकर बेटी-दामाद पर भेल कार्रवाई केँ चलते विपक्षी एकता क' फेरसँ झटका लागि सकैछ। नीतीश कुमार राष्ट्रपति चुनाव म' पहिने विपक्ष सँ अलग राह पकैड़ चुकल छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।