शहाबुद्दीन के खास मानल जाए बला राजद नेता के गोली मारी हत्या

सिवान। 29 जुलाई। पूर्व सांसद व बाहुबली शहाबुद्दीन के सभसँ खास मानल जाए बला राजद के युवा मोर्चाक महासचिव के देर राति अपराधी सभ गोली मारी हत्या क' देलनि। ई घटना तखन घटल जखन सिवान जिला के राजद जिला महासचिव मिन्हाज खान अप्पन घर पर सुतल छलाह। ओहि समय अचानक किछु अपराधी ओता पहुंच नींद म' सुतल मिन्हाज खान के गोली मारी हत्या क' देलनि। 


घर के बाहर दरबाजा पर सुतल खान पर चलाओल गेल गोलीक आवाज जखन हुनकर परिजन सभ सुनलनि तेँ बाहर निकलकर घायल अवस्था म' हुनका इलाजक लेल अस्पताल ल' जेबाक कोशिश केलनि, मुदा ताधरि  मिन्हाज के मौत भ' चुकल छल। घटना के जानकारी भेटते मौका पर पहुँचल पुलिस लाश क' अप्पन कब्जा म' ल' पोस्टमॉर्टम लेल भेज देलनि आओर घटनास्थल स' जिंदा बम आओर पेट्रोल भरल गैलन बरामद कएलनि। फिलहाल पुलिस एहि मामला म' अज्ञात अपराधी सभ परमामला दर्ज करि जांच पड़ताल क' रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ