खगड़िया। 29 जुलाई। सदर प्रखंड अंतर्गत मध्य विद्यालय कुम्हरचक्की पंचायत के उत्तरी रहीमपुर म' नशा मुक्त भारत के बैनर तर संस्थापक सह अध्यक्ष प्रेम कुमार यशवंत केर नेतृत्व म' छात्र-छात्रा सभक बीच नशा मुक्त समाज केर निर्माण ल'क भाषण प्रतियोगिता के आयोजन भेल। जाहिमे 11 प्रतिभागी पुरस्कृत भेलथि।
पुरस्कृत होमै बला प्रतिभागी म' अनुराधा कुमारी, रिमझिम कुमारी, मुस्कमान कुमारी, काजल कुमारी, आलोक कुमार, लालू कुमार, संदेश देव किशोर, नीरज कुमार, श्याम कुमार, अभिषेक कुमार, रितेश कुमार आदि शामिल छथि।
नशा मुक्त भारत के संस्थापक प्रेम कुमार यशवंत कार्यक्रम क' संबोधित करैत कहलनि कि खगड़िया जिला क' जिला प्रशासन विगत 27 जुलाई 2017 क' धूम्रपान मुक्त जिला घोषित कएलनि। ई उपलब्धि खगड़िया के लेल गौरव के बात अछि आओर एक सुखद अनुभूति अछि। जिला प्रशासन बधाई के पात्र अछि। एहिसँ जिला प्रशासन के जिम्मेदारी आओर बढ़ी गेल अछि किएक जे जिलाक हर गली मोहल्ला म' एखनहुँ खुलेआम लोग धूम्रपान क' रहल छथि। यदि जिला प्रशासन ठोस कार्रवाई करे आओर जागरुकता अभियान चलाबए तेँ सचमुच खगड़िया जिला शत-प्रतिशत धूम्रपान मुक्त भ' जाएत।
एहि मौका पर नशा मुक्त भारत के जिला संयोजक जितेन्द्र कुमार यादव, सदर संयोजक नीरू कुमार, सदर संयोजिका पार्वती देवी, प्रधानाध्यापिका शीला कुमारी, मो. नसीमउद्दीन, योगेन्द्र कुमार दास, कौशल किशोर दिनकर, रमण कुमार, पुरुषार्थ, संतोष कुमार, आशुतोष कुमार, संजय कुमार, पंकज कुमार पासवान, शिक्षिका नविता रानी, आभा रानी, विभा कुमारी, रसोईया, लक्ष्मी देवी, पुतुल देवी, रामा देवी, संजो देवी, गोरखी देवी सहित दर्जनो छात्र-छात्रा उपस्थित छलथि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।