कटिहार - मालदह रेलखण्ड पर जल्दे दौड़त बिजली ट्रेन

कटिहार। 29 जुलाई। बिहार क' सीधा कोलकाता सँ जोड़ै बला 90 किलोमीटर के कटिहार - मालदह रेलखण्डक विद्युतीकरण के काज पूरा भ' गेल अछि। एनईएफ रेलवे सर्किल के कमिश्नर ऑफ़ रेलवे सेफ्टी, सीके पाठक आए शनिदिन विद्युतीकरण काज के मुआयना करबाक लेल कटिहार पहुंच चुकल छथि।

कटिहार रेल मंडल के डीआरएम चन्द्र प्रकाश गुप्ता कहलनि कि विद्युतीकरण काज के मुआयना करबाक बाद रेलखण्ड म' विद्युत इंजन के  ट्रायल काएल जाएत आओर सभ किछु ठीक रहला पर आगामी पंद्रह अगस्त सँ एहि ट्रैक पर गाड़ी बिजली सँ चले लागत।

चन्द्र प्रकाश गुप्ता कहलनि कि कटिहार - मालदह रेलखण्ड सीधा बिहार क' कोलकाता सँ जोड़ैत अछि। आजादी के बाद सँ एखन धरी डीजले इंजन चलाओल जाएत छल, मुदा वर्त्तमान केंद्र सरकार के रेलमंत्री सुरेश प्रभु द्वारा कैको बरख सँ लंबित एहि रेलखण्ड के विद्युतीकरण काज म' तेजी आंबाक आदेश देल गेल अछि। विद्युतीकरण के काज पूरा भ' चुकल अछि आओर आगामी पन्द्रह अगस्त स' एहि ट्रैक पर बिजली इंजन चलबाक पूरा संभावना अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ