बिहारसँ जुड़ल तेसर राष्ट्रपति बनला रामनाथ कोविंद

दिल्ली। 25 जुलाई। आजुक दिन उत्तर प्रदेश केँ संगे - संग बिहारक लेल सेहो ऐतिहासिक रहल।  आए बिहारसँ जुड़ल तेसर राष्ट्रपति बनला रामनाथ कोविंद। बिहार के पूर्व राज्यपाल रामनाथ कोविंद आए भारत के 14हम राष्ट्रपति के रुप म' शपथ लेलथि। 

ई शपथ ग्रहण समारोह पूरा 50 बरखक बाद बिहार क' दुबारा गौरवशाली क्षणक गवाह बना देलक। बिहार के इतिहास म' रामनाथ कोविंद राज्यपाल सँ सीधे राष्ट्रपति केर कुर्सी तक पहुँचै बला पहिल शख्स बनला। एहिसँ पहिने बिहार के राज्यपाल रही चुकल जाकिर हुसैन 1967 म' देशक तेसर राष्ट्रपति बनाओल गेल छलाह।

बरख 1957 सँ 1962 धरी जाकिर हुसैन बिहार के राज्यपाल रही चुकल छलाह। राष्ट्रपति बनबाक लेल 1962 म' ओ उपराष्ट्रपति के पद पर निर्वाचित भेल छलाह। एहि पद पर ओ पांच बरख धरी रहला। बाद म' कांग्रेस के उम्मीदवारक रूप म' हुनका13 मई 1967 क' राष्ट्रपति चुनल गेल छल। जाहि पर ओ 3 मई 1968 तक मृत्युपर्यंत बनल रहला। 

उत्तर प्रदेश के रहै बला रामनाथ कोविंद के सेहो बिहार सँ बहुत पुरान कनेक्शन छल। ओहो राष्ट्रपति उम्मीदवार बनबाक दौरान बिहार के राज्यपाल छला। डा. राजेंद्र प्रसाद आओर जाकिर हुसैन के अलावा कुनू आओर राष्ट्रपति के बिहार सँ कुनू सीधा कनेक्शन नहि छल। आए 25 जुलाई के दिन एक बेर फेर सँ रामनाथ कोविंद के जरिए बिहार क' गौरवान्वित होएबाक मौका देलक।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ