कारगिल विजय दिवस विशेष : ओहि समय किछु एहेन छल परिदृश्य

संपादकीय। 26 जुलाई। [जितमोहन झा (जितू)] ए मेरे वतन के लोगों, जरा आंख में भर लोग पानी, जो शहीद हुए हैं उनकी, जरा याद करो कुर्बानी। ई अगबे एक गीतक लाइन नहि थीक, बल्कि ई शहीद सभक ओहि दुखक दास्तां थीक जाहिके ओसभ सीमा पर हमरा सभक रक्षाक लेल सहने रहथि। पूरा देश सुरक्षित रहिसके ऐहिकलेल भारतीय सीमा पर तैनात सिपाही दिन - राति जागीकेँ नहि सिर्फ हमरा सभक रक्षा करैत छथि बल्कि हमरा सभक खातिर दुश्मन सभक गोली सेहो अप्पन सीना पर खैत छथि। आए 26 जुलाई के दिन ओहि शहीद जवान सभक शहादतक दास्तां बयां क' रहल अछि। 

जाहि समय का​रगिल युद्ध चलैत छल, पूरा देश म' देशप्रेम केर भावना लहर लैत छल। सभक मोन म' एतबे छल भारत क' चाही कि पाकिस्तान क' नेस्तनाबूद क' दिआ। सभ जगह सिर्फ कारगिल युद्ध के चर्चा चलैत छल। बहिन सभ सीमा पर युद्धरत जवान सभक लेल राखी भेजना छलीह।  जहिना कुनू शहीद जवान के पार्थिव शरीर आबैत छल, लोग देखबाक आओर सलामी के लेल दौर पड़ैत छल। लोग सभ अपन घर म' खाद्य सामग्री केर भंडारण क' लेना छल। कर्फ्यू के आशंका बनल छल। हर कियो पाकिस्तान क' गारि दैत देखकर दैत छल। मीडिया म' स्थानीय खबैर सेहो अगबे  कारगिल के संबंध म' आबैत छल। 

देश भरिमे हर बरख 26 जुलाई के दिन कारगिल विजय दिवस के रूप म' मनाओल जाएत अछि। बरख 1999 म' पाकिस्तानी सेना आओर कश्मीरी उग्रवादी सभ ​कारगिल म' नियंत्रण रेखा पार करि भारत के सरजमीं पर कब्जा करबाक कोशिश केना छल। जाहिक फलस्वरूप भारत आओर पाकिस्तान के बीच मई सँ ल'क' जुलाई धरी (तीन मास) युद्ध भेल छल। 26 जुलाई दिन भारत एहि युद्ध म' जीत हासिल कएलनि। मुदा जीतक संगे एहि युद्ध म' देश के सैकड़ों जवानक शहीद होयबाक दर्द सेहो शामिल छल। ओहिये स' 26 जुलाई के दिन कारगिल शहीद सभके नमन करैत पूरा देश म' एहि दिन क' कारगिल विजय दिवस के रूप म' याद करैत शहीद जवान सभके श्रद्धांजलि देल जाएत अछि। आई 18हम कारगिल विजय दिवस थीक। देशक वीर अमर शहीद जवान सभके सत - सत नमन। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ