गृह मंत्रालय सँ प्राप्त सुचना केर मुताबिक नवनिर्वाचित राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद के शपथ ग्रहण समारोह संसद भवन के केन्द्रीय कक्ष म' दुपहर 12:15 बजे होएत। शपथ ग्रहण समारोह म' राज्य सभा के सभापति, प्रधानमंत्री, भारत के मुख्य न्यायाधीश, लोकसभा अध्यक्ष, मंत्री परिषद के सदस्य, राजनयिक दूतावास सभक प्रमुख, सांसद आओर भारत सरकार के प्रमुख नागरिक आओर सैनिक अधिकारी शामिल हेथिन।
राष्ट्रपति आओर नवनिर्वाचित राष्ट्रपति समारोह पूर्वक केन्द्रीय कक्ष म' पहुंचता आओर भारत के मुख्य न्यायाधीश केर उपस्थिति म' शपथ ग्रहण करता, ऐहिक बाद 21 तोपक सलामी देल जाएत। राष्ट्रपति संसद क' संबोधित करथिन। केन्द्रीय कक्ष म' समारोह के समापन पर, राष्ट्रपति राष्ट्रपति भवन लेल रवाना हेता जता हुनका गार्ड ऑफ ऑनर देल जेतैन्ह। ओतहि सेवा-निवृत भ' रहल राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी क' सेहो सौहार्दपूर्ण शिष्टाचार प्रदान काएल जाएत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।