खुशखबरी : थर्ड AC स' सस्ता म' होएत सफर, जल्दे आएब रहल अछि इकोनॉमी एसी कोच

नई दिल्ली। 03 जुलाई। ट्रेन स' यात्रा करनिहार यात्री सभकेँ जल्दे इकोनॉमी एसी कोचक एक नवा श्रेणी म' यात्रा करबाक विकल्प भेटत आओर एहि कोचक लेल भाड़ा सेहो सामान्य 3 एसी के भाड़ा सँ कम होएत।

रेलवे केँ कायाकल्पक हिस्सा केँ तौर पर प्रस्तावित पूर्ण वातानुकूलित ट्रेन म' एसी 3, एसी 2 आओर एसी 1 क्लास के अलावा थ्री टायर इकोनॉमी एसी कोच होएत। एहि नवा कोच म' स्वचालित दरवाजा होएत। रेलवे केँ इरादा किछु चयनित मार्ग पर पूर्ण वातानुकूलित ट्रेन चलेबाक अछि ताकि बेसी सँ बेसी यात्री सभकेँ एसी केर सुविधा भेट सके। रेलवे केँ उद्देश्य ट्रेन आओर स्टेशन सभमें वर्तमान सुविधा म' बदलाव आनैत बढ़ेबाक अछि।
   
रेल मंत्रालय के एक वरिष्ठ अधिकारी कहलनि कि आन एसी क्लास केँ तरह इकोनॉमी एसी म' ठंड बेसी नहि होएत किएकजे एहि म' तापमान 24 स' 25 डिग्री तय होएत। रेलवे केँ उद्देश्य यात्री सभकेँ सुविधा प्रदान करब अछि ताकि यात्री क' बाहरी गर्मी स' छुटकारा भेट सके। हालहि म' शुरू भेल हमसफर एक्सप्रेस यात्री सभक पसंदीदा ट्रेन बैन गेल अछि आओर ओहिमे सिर्फ थर्ड एसी कोच अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने